Patrika Stories

Refine by tag:
patrika
patrika

3 Stories

  • मिथिला दर्शन समीपेषु by mithiladarshan
    mithiladarshan
    • WpView
      Reads 27
    • WpPart
      Parts 1
    मिथिला दर्शन समीपेषु आदरणीय संपादक जी, आखर लेख मे अपने सिराउर सँ उत्पन्न सीताक विवाह राम संग होयबाक तिथि केँ विवाह पंचमी क रूपमे मनाओल जयबाक चर्च कएलहुँ अछि। जे समयिक आ प्रासंगिक अछि मात्र मिथिले लेल नहि, अपितु सम्पूर्ण भारत आ विश्व लेल सेहो। लाल दास कृत रामायणक माध्यम सँ ई देखेबाक प्रयास भेल अछि जे शक्तिक साक्षात स्वरूपा सीता रामक सिर्फ अर्धांगिनिए टा नहि, रामक बल, धैर्य, साहसकेँ अक्षुण्ण रखबा लेल अप्पन स्वक त्याग करैवाली नारि छलीह संगहि हुनक आस्था, त्याग, मर्यादा ओ पुरुषार्थक रक्षार्थ सदैव तत्पर रहैवाली संगरक्षिणी सेहो छलीह। जे अप्पन चिंता एको-आधो घड़ी लेल नहि करय आ अप्पन सर्वस्व 'रामत्व' लेल त्यागि दिअय,ओकरा की कहबै? प्रायः शब्दक अकाल परि जायत! रामनाम सँ पूर्व सीताक उच्चरणे पर्याप्त अछि सीताक महिमाक गुणगान करबा लए। लालदास जी ओहिना नै सीताजीक महत्ता पर
  • गंगासागर धन्य by mithiladarshan
    mithiladarshan
    • WpView
      Reads 9
    • WpPart
      Parts 1
    गंगासागर धन्य माघ मे स्नानार्थी सब डूबकी देत ; मकर-संक्राँतिक पुण्य पर्व मे उत्तरायण सूर्यक सुधि लेत। नया वर्ष केर भेल पदार्पण अछिशिशिरक अवसानक काल; आबि रहल रितुपतिक सवारी नील नभक प्रत्यासित भाल। सृष्टि सँ स्निग्ध जुडल प्राणी केर तन-मन होएत स्वत: स्फूर्त; व्यष्टि-व्यष्टि होइए समष्टि सँ तुलित-सम्पुटित पाबि मुहूर्त। भारतीय मानसक उड़ान मे सागर लहरि भरि जाइछ छन्द; लौकिक-सांस्कृतिक प्रभाष तैं युग-युग से चलि रहल अमन्द। शब्द सुभग संक्रान्ति सुहावन लबइत अछि परिवर्तनक हिलोर; मुग्ध माँगलिक विभा पसारति छूबि भू-गगनक ओर आ छोर। जाडठाढ भएनहुँ समग्र अछि नहिं लघु वीचि-विचुम्बन मन्द ; सुनि पदध्वनि अबइत आदित्यक उष्मा भरइत अछि आनन्द । शारदा नन्द दास परिमल
  • सुग्गा मैना | आधुनिक मैथिली गीत | Modern Maithili Music Video by mithiladarshan
    mithiladarshan
    • WpView
      Reads 17
    • WpPart
      Parts 1
    सुग्गा मैना , आधुनिक मैथिली गीत , Modern Maithili Music Video - Presented by Mithila Darshan Media pvt. ltd. composed by sitaram singh, lyrics by Nachiketa. Singers - Nandita Chakravarty and Ranjana jha. Visit:-http://mithiladarshan.com/संगीत-विडीओ/